जातीय संसद भवन
जातीय संसद भवन Jatiyo Sangshad Bhaban | |
---|---|
सामान्य विवरण | |
प्रकार | राष्ट्रिय संसद भवन |
वास्तुकलाक ढाँचा | आधुनिक |
स्थान | ढाका, बंगलादेश |
निर्माणकार्यक आरम्भ | १९६१ |
सम्पन्न | १९८२ |
लागत | अमेरिकी $३२ मिलियन[१] |
प्राविधिक विवरण | |
बनावट | कङ्क्रिट, इँटा |
योजना तथा निर्माण | |
वास्तुकार | लुइस कान मुझारुल इसलाम (सह-वास्तुकार) |
जातीय संसद भवन वा राष्ट्रिय संसद भवन, (बङ्गाली: জাতীয় সংসদ ভবন जातियो सोंसद भोवोन) बंगलादेशक संसदक नाम छी । ई भवन राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला नगरमे अवस्थित अछि । एकर डिजाइन लुइस कान केनए अछि आ ई भवन २०० एकड़मे फैलल अछि आ संसारक सबसँ बड़का विधायक भवनसभमे सँ एक छी ।[१]
ई भवन सन् २००३ मे निर्माण भेल माई आर्किटेक्ट नामक चलचित्रमे स्थायी रूपसँ दर्शाएल गेल छल । ई चलचित्रमे वास्तुकार लुइस कानके पारिवारिक स्थिति आ करियरक बारेमे देखाएल गेल छल । लुइस आइ कान क लेखक रोबर्ट म्याककार्टर, बंगलादेशक जातीय संसद भवनके २०अम शताब्दीके मुख्य भवनमे सँ एक कहने छल ।[२]
इतिहास
[सम्पादन करी]बंगलादेशी संसद स्थायी रूपसँ जातीय संसद भवनमे बैठैत अछि । ई भवन, विधायकसभक दुनियामे एक शानदार संसदीय निर्माणक नमूना छी । ई भवन २१५ एकड़क भूमिमे राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला क्षेत्रमे अवस्थित अछि । एकर परिसरमे, मुख्य भवन अतिरिक्त, खुलल हरियर रिक्त स्थान, जल निकास आ सांसदसभक भव्य कार्यालय सेहो अवस्थित अछि । ई भवनक निर्माण सन् १९६१ मे शुरू भेल छल । अनेक उतार चढ़ावक बाद अत्यन्तः ८ जनवरी १९७२ के ई भवनके उद्घाटन कएल गेल छल । ई शानदार भवनक रचना प्रसिद्ध अमेरिकी वास्तुकार लुइस आई कान तैयार केनए छल । संसद भवन क्षेत्रक मुख्य भवन, दक्षिण प्लाजा आ राष्ट्रपति प्लाजा, करि तीन भागमे बांटल गेल अछि ।[३][४]
भवन
[सम्पादन करी]चित्र दीर्घा
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ "Jatiya Sangsad Bhaban"। banglapedia.org।
- ↑ McCarter, Robert (2005). Louis I. Kahn. London: Phaidon Press. प॰ 258,270. आइएसबिएन 0-7148-4045-9.
- ↑ "Jatiyo Sangsad Bhaban (National Parliament House), Bangladesh"। londoni.co। 2014। मूलसँ 4 March 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 28 December 2015।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ James-Chakraborty, Kathleen (2014)। "Reinforced concrete in Louis Kahn's National Assembly, Dhaka: Modernity and modernism in Bangladeshi architecture"। Frontiers of Architectural Research। 3: 81–88। doi:10.1016/j.foar.2014.01.003।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे जातीय संसद भवनसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
- जानकारी सङ्ग्रहित २००५-०१-२३ वेब्याक मेसिन