बिराटनगर
बिराटनगर
Biratnagar गोग्रहा | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | कोशी प्रदेश |
विकास क्षेत्र | पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र |
अञ्चल | कोशी |
जिला | मोरङ |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ७७ किमी२ (३० वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ८० मिटर (२६० फिट) |
जनसङ्ख्या (बि.स.२०६८) | |
• कुल | २,४२,५४८ [१][२] |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
पोस्टल कोड | ५६६००, ५६६१३, ५६६१४ |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०२१ |
वेबसाइट | बिराटनगर महानगरपालिका |
बिराटनगर नेपालक महानगरपालिका[२] आ दोसर पैग शहर छी ।[३][४] नेपालक संविधान २०७२ अनुसार ई शहर नेपालक कोशी प्रदेशमे रहल कोशी अञ्चल अन्तर्गत मोरङ जिलाक दक्षिण भागमे अवस्थित अछि । ई नेपालक सबसँ पैग औद्योगिक नगर आ उद्योगिक राजधानी सेहो छी ।[५] ई नगर तथा आसपासक क्षेत्रमे बहुतेक सङ्ख्यामे कारखाना, उद्योग तथा व्यवसायसभ अछि । बिराटनगर एक पारवहन तथा वाणिज्य केन्द्र सेहो छी । एतयसँ भारत तथा तेसर राष्ट्रसँ व्यापारिक सामानसभ आयात निर्यात होइत अछि । नेपालक जनगणना २०११ अनुसार जनसङ्ख्याक आधारमे विराटनगर, नेपालक चारिम पैग शहर आ जनघनत्वक आधारमे दोसर पैग शहर छी ।[६] ई शहर काठमाडौंसँ ३९९ किमी पूर्वमे आ भारतक बिहार राज्यसँ ६ किमी उत्तरमे अवस्थित अछि । बिराटनगरके सन् २०१७ मई २२ कऽ दिन वीरगञ्ज सङ्गे महानगरपालिका घोषित कएल गेल छल ।[७] ई शहरके महानगरपालिका घोषित करैत काल टङ्किसिनवारी आ जहदा-३ मिलाएल गेल छल जहिसँ बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,१४,६६३ सँ २,४२,५४८ पहुँचल अछि ।[८][९][१०][११]
नामाकरण आ इतिहास
[सम्पादन करी]ई शहरमे पौराणिक कालक विराट राजाक दरवार आ राजधानी रहल आ हुनकरे नामसँ विराटनगरक नाम रहल विश्वास कएल जाइत अछि । वि.सं. १९७५ धरि ई ठाम गोग्राहा कऽ नामसँ जानल जाइत छल । विराटनगरक पुरान नाम गोग्राहा छी । वि.स. १९७१ मे वडाहाकिम जित बहादुर खत्री बिराटनगर शहरक परिकल्पना करि मोरङ जिलाक सदरमुकाम रङ्गेलीसँ सरकारी गोश्वारा, माल, अमिन, वनजाँच, चिट्ठी, अडिटर, जेल आ अस्पताल बिराटनगर स्थानान्तरण केनए छल मुदा एकर नामाकरण शिकार खेलैलेल काठमाडौंसँ मोरङ आएल केशर शम्सेर जबरा केनए छल ।[१२] अपन मोरङ दौडाहाक समयमे भेडियारीमे भेटल विराट राजाक दरवारक भग्नावशेषक दृष्टिगत करि केशर शम्सेर गोग्राहासँ विराटनगर नामाकरण केनए छल । वि.सं.१९७१ मे रङ्गेलीसँ विराटनगरमे जिला सदरमुकाम (तत्कालिन गौडा) आनलाक बाद विराटनगर शहरक स्वरूप परिवर्तित होमए लागल ।[१२][१३] बडाहाकिम खत्रीके उत्तराधिकारी कर्णेल शिवप्रताप शमशेर थापा विराटनगर निर्माणमे अपन सम्पूर्ण योगदान देनए छल । बिराटनगरमे कृष्णप्रसाद कोइराला, भारतीय मारवाडीसभ बोलाए व्यापारिक वातावरण बनेनाए छल । कृष्णप्रसाद कोइराला, सुब्बा गुञ्जमान, डिट्ठठा कृष्णराज, हनुमानदास, सुब्बा कालिदास, सुबेदार अनन्तराम कऽ विशेष योगदानसँ वि.सं. १९७२ मे सदरमुकाम बिराटनगर आएल छल ।[१४]बिराट शब्दक अर्थ पैग आ नगर शब्दक अर्थ शहर होइत अछि ।
नेपालक भूभाग बिराटनगरमे पहिल राणा बिरोधी आन्दोलनक आरम्भ सन् १९४७ मार्च ४ कऽ दिन विराटनगर जुट मिल हड़तालक रुपमे भेल जकर नेतृत्व मिलक कर्मचारी बनि गिरिजाप्रसाद कोइराला[१५] तारणी प्रसाद कोइराला, मन मोहन अधिकारी आ युवराज अधिकारी केनए छल ।[१६][१७][१८]किछ दिन बाद ई आन्दोलनमे विश्वेश्वरप्रसाद कोइराला जुड़ल आ आन्दोलन वृहत बनाए नेपालसँ राणा शासनक अन्त केलक ।[१९]
यातायात
[सम्पादन करी]बिराटनगरसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभ हवाई आ सड़क यातायातसँ जुडल अछि । बिराटनगर विमानस्थलसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क अछि । यातायातक मुख्य केन्द्रक रूपमे रहल बिराटनगर शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे वि.सं. १९६८ सँ रेल सेवा सञ्चालन होमए लागल ।
- वायुसेवा: बिराटनगर विमानस्थलसँ काठमाडौंक लेल आ नेपालक अन्य विमानस्थलसभक लेल उडानसेवा अछि । ई नेपालक पूर्वी भागक क्षेत्रीय विमान हब छी ।
- सड़कसेवा: राजधानी शहर काठमाडौंसँ बिराटनगर लगभग ५०० किलोमिटर (३१० माइल)क दूरीमे अछि । ई धरान, इटहरी आ धनकुटा लगायत नेपालक पूर्वी क्षेत्र आ अन्य क्षेत्रक सड़कसेवासँ निक जका जुड़ल अछि ।
- सिमापार: भारतक राज्य बिहारसँ लगभग ७ किलोमिटर (४ माइल)क उत्तरमे बिराटनगर अवस्थित अछि । भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे रेल लाइन समाप्त होइत अछि । एतयसँ कटिहार, कोलकाता आ नयाँ दिल्लीक लेल सीधा रेल सेवा उपलब्ध अछि । भारत आ नेपालक ई क्षेत्रमे राजश्व केन्द्र स्थापित अछि । नेपाली आ भारतीय लोकसभ निकसँ आवतजावत करैत अछि । बिराटनगरधरि रेलसेवा सञ्चालनक लेल सर्वेक्षण कएल गेल अछि ।
- शहर भितर: साइकल, मोटर सवारी, रिक्सा आ ट्याक्सीसभ शहरमे चलैत अछि । शहरसँ बाहर यात्राक लेल अटो रिक्सा (टेम्पो)उपलब्ध अछि । सिटी सफारी आ विद्युतीय रिक्सा बिराटनगरक सम्पूर्ण भागमे जुड़ल अछि जे सर्वसुलभ आ वातावरण मैत्री अछि ।
मौसम
[सम्पादन करी]बिराटनगरक अधिकतम तापक्रम ४३.० °से (१०९.४ °फे) सन् १९९२ अप्रैल १४ कऽ दिन तापमान कएल गेल छल आ न्यूनतम तापक्रम −१.० °से (३०.२ °फे) सन् १९७० दिसम्बरमे तापमान कएल गेल छल ।[२०]
महिना | जन | फर | मार्च | अप्रैल | मई | जुन | जुलाई | अगस्त | सित | अक्टु | नव | दिस | वर्ष |
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
अधिकतम °से (°फे) औषत | २२٫७ (७३) |
२६٫१ (७९) |
३०٫९ (८८) |
३३٫९ (९३) |
३३٫३ (९२) |
३२٫९ (९१) |
३२٫१ (९०) |
३२٫५ (९१) |
३२٫१ (९०) |
३१٫६ (८९) |
२९٫३ (८५) |
२५٫४ (७८) |
३०٫२ (८६) |
दैनिक औषत °से (°फे) | १५٫८ (६०) |
१८٫६ (६५) |
२३٫३ (७४) |
२७٫१ (८१) |
२८٫३ (८३) |
२९٫० (८४) |
२८٫८ (८४) |
२९٫२ (८५) |
२८٫४ (८३) |
२६٫४ (८०) |
२२٫३ (७२) |
१८٫० (६४) |
२४٫६ (७६) |
न्यूनतम °से (°फे) औषत | ९٫० (४८) |
११٫१ (५२) |
१५٫६ (६०) |
२०٫४ (६९) |
२३٫३ (७४) |
२५٫२ (७७) |
२५٫६ (७८) |
२५٫८ (७८) |
२४٫७ (७६) |
२१٫१ (७०) |
१५٫३ (६०) |
१०٫५ (५१) |
१९٫० (६६) |
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) | ११٫७ (०٫४६) |
१३٫२ (०٫५२) |
१३٫२ (०٫५२) |
५३٫१ (२٫०९) |
१८६٫० (७٫३२) |
३०२٫४ (११٫९१) |
५३०٫८ (२०٫९) |
३७८٫३ (१४٫८९) |
२९८٫८ (११٫७६) |
९१٫८ (३٫६१) |
५٫९ (०٫२३) |
६٫६ (०٫२६) |
१,८९१٫८ (७४٫४७) |
स्रोत: जल तथा मौसम पूर्वानुमान विभाग (नेपाल)[२१] |
भूगोल
[सम्पादन करी]बिराटनगर शहर समुन्द्र सतहसँ ७० मिटर (२२९ फिट) उपर अछि ।
जनसङ्ख्या
[सम्पादन करी]नेपालक वि.सं. २०६८ कऽ जनगणना अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,४२,५४८ रहल अछि ।[२][१]जाहिमे पुरुष ५३% आ महिला ४७% अछि । ई शहरमे नेपालक प्राय: सब जातजातिक लोकसभक बसोबास अछि । बि.सं. २०५८ कऽ जनसङ्ख्याक अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या करिब २ लाख देखल गेल अछि । नेपालक भौगोलिक रूपसँ बिराटनगर तराईक गर्मी क्षेत्र रहलाक बादो जनघनत्व बहुत बेसी अछि ।
शिक्षा
[सम्पादन करी]बिराटनगर पूर्वाञ्चलक शैक्षिक केन्द्रक रूपमे देखल जाइत अछि । पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सहित मेडिकल कलेज आ इन्जीनियरिङ कलेज लगायत बहुतेक शैक्षिक संस्थासभ बिराटनगरमे स्थापित अछि ।[२२][२३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ "नेपाल जनगणना बि.स.२०६८" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2015-02-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच November 2012।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help); Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ २.० २.१ २.२ "राजपत्र संसोधन सहित" (PDF)। अन्तिम पहुँच जेठ ११, २०७४।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help) - ↑ "Biratnagar, the second biggest city of Nepal"। Boss Nepal (अङ्ग्रेजीमे)। मूलसँ 2017-01-09 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "विराटनगर महानगरपालिका | नेपाल सरकार"। biratnagarmun.gov.np। मूलसँ 2017-01-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-01-22।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Top 10 Best cities of Nepal to Live in"। Real Estate Land & House on Sale in Nepal (अङ्ग्रेजीमे)। 2015-03-17। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ Location of Biratnagar - Falling Rain Genomics
- ↑ "Govt adds 23 local units, elevates Birgunj and Biratnagar as metros" (अङ्ग्रेजीमे)। मूलसँ 2017-05-22 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-06-01।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Biratnagar, Birgunj promoted to Metropolitan Cities - The Himalayan Times"। The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे)। 2017-06-01। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Biratnagar excited to celebrate metropolitan promotion"। The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे)। 2017-05-23। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Biratnagar, Birgunj now Metropolitan cities" (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link)[permanent dead link] - ↑ "Biratnagar joins the league of metropolitan cities, rolls up sleeves for celebration - Karobar National Economic Daily" (अङ्ग्रेजीमे)। मूलसँ 2017-07-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ १२.० १२.१ "१०० वर्षको विराटनगर, मणि खोज्दै - Himalkhabar.com"। Himalkhabar.com (नेपालीमे)। 2013-09-17। अन्तिम पहुँच 2017-08-20।
- ↑ सय वर्षसम्म सहर उस्तै नागरिक
- ↑ "Biratnagar celebrates centenary as birthplace of Nepal's industry" (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2017-08-19।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 62. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543.
- ↑ Mahendra Man Singh (3 September 2013). Forever Incomplete: The Story of Nepal. SAGE Publications. pp. 124–. आइएसबिएन 978-81-321-1658-5. https://books.google.com/books?id=Av-HAwAAQBAJ&pg=PA124.
- ↑ Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 61. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543.
- ↑ Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 62. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543.
- ↑ Human Rights Violations in Nepal. Human Rights Watch. 1989. pp. 15–. आइएसबिएन 978-0-929692-31-9. https://books.google.com/books?id=CnTFLXce3toC&pg=PA15.
- ↑ "Archived copy" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2016-03-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-02-27।
{{cite web}}
: Unknown parameter|deadurl=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link) - ↑ "Normals from 1981-2010" (PDF)। Department of Hydrology and Meteorology (Nepal)। अन्तिम पहुँच 20 October 2012।
- ↑ "Picture-perfect moments convocation - The Himalayan Times"। The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे)। 2016-04-27। मूलसँ 2016-09-02 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-20।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "अभियान राष्ट्रिय दैनिक - Aarthik Abhiyan National Daily : Nepal Business, Stock Market (nepse), Finance and Economic news"। अन्तिम पहुँच 2017-08-20।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे बिराटनगरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]क्रम | जिला | जनसङ्ख्या | क्रम | नाम | जिला | जनसङ्ख्या | |||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
काठमाडौं पोखरा लेखनाथ |
१ | काठमाडौं | काठमाडौं | ९,७५,४५३ | ११ | तुलसीपुर | दाङ | १,४१,५२८ | ललितपुर भरतपुर |
२ | पोखरा लेखनाथ | कास्की | ४,१४,१४१ | १२ | इटहरी | सुनसरी | १,४०,५१७ | ||
३ | ललितपुर | ललितपुर | २,८४,९२२ | १३ | नेपालगञ्ज | बाँके | १,३८,९५१ | ||
४ | भरतपुर | चितवन | २,८०,५०२ | १४ | बुटवल | रुपन्देही | १,३८,७४१ | ||
५ | बिराटनगर | मोरङ | २,४२,५४८ | १५ | धरान | सुनसरी | १,३७,७०५ | ||
६ | वीरगञ्ज | पर्सा | २,०४,८१६ | १६ | कलैया | बारा | १,२३,६५९ | ||
७ | घोराही | दाङ | १,५६,१६४ | १७ | जीतपुर सिमरा | बारा | १,१४,१८५ | ||
८ | जनकपुर | धनुषा | १,५३,६१४ | १८ | मेचीनगर | झापा | १,११,७९७ | ||
९ | हेटौडा | मकवानपुर | २,५२,८७५ | १९ | बुढानिलकन्ठ | काठमाडौं | १,०७,९१८ | ||
१० | धनगढी | कैलाली | १,४७,७४१ | २० | गोकर्णेश्वर | काठमाडौं | १,०७,३५१ |